बुधवार, 25 मई 2016

कहलक मनसा

कहलक मनसा
सूति पहिरेबौ,
न-न सेरक पेड़ा
घर आबि हम देखल,
खाली टूटल सूप चंगेड़ा
पापी के मुहँ हम हारल
दुख उपजल खूब अनेरा
कानिक देखल
रुसिक देखल
देखल बहुबिध
देखल बहुते,
ठठा रहल अछि
अगबे कटहर केरा

बुधवार, 18 मई 2016

ई, अजगुत

ई, अजगुत जे
ताकि रहल छी
नवका ठौर ठिकाना
नञ नञ गाम नञ हराएल
ज कही त छी हमहि भुतलाएल
की कहू कोना फुराएल
ज अपने स रहल पराएल
ई बूझल ऐ अछि त किए अछि
मुहँ झमाएल मन खौंझाएल

गाम आएल छी
ई अजगुत जे
पटना दिल्ली एत ओत स
लोक पूछैए, 'कहाँ हैं!'
कहि दैत छियै - - बेधड़क
'बाहर हैं, घर लौटकर बात करते हैं'

ई, अजगुत जे
गाम आएल छी,
माने, कोइलख में कोलख्यान!
आ बेधड़क कहै छियै जे,
बाहर हैं.!

गाम जाइ छी

गाम जाइ छी
फेर कहै छी गाम जाइ छी
रत्ती पत्ती लावैन लुत्ती
गाछी बिरछी सोन सेहनता
हं यौ कहलौं एतबे
अपन बेगरते गाम छी
अनत नञ यौ! गाम!
गाम जाइ छी
डीह डाबर अटकन मटकन
डोका डहकन अरिपन सरिपन
मुँह बिचकबैत उचकैत फुदकैत
गाम जाइ छी! गाम जाइ छी।

शनिवार, 21 फ़रवरी 2015

लुटेलौ बाउ रे तोहर गठरी

दालि दररी, दालि दर्ररी किए दालि दररी?
बाबा पोखैर में बड़ मछरी, माए बड़ मछरी!
पोखैर मे कनियो पानि नञ सुखाएल गगरी
ताञ दालि दररी, हिलमिलि क दालि दररी
बरद बिकाएल जेहि दिन छलौं सब कछरी
खेत मे हाल नञ, बियो के भ गेलै सुनबहरी
कत स एलौ दालि झूठहि गबै छैं दालि दररी
खिस्सा में दालि, सुखाएल खेत में की कजरी
आँखिए में पानि, सपनहिं में चुलबुल मछरी
एक मुट्ठी भात लेल पूषहि मे मुहँ पर फिफरी
एत ओत जत तत लुटेलौ बाउ रे तोहर गठरी
दालि दररी, दालि दर्ररी किए दालि दररी?
बाबा पोखैर में बड़ मछरी, माए बड़ मछरी!

घोर-मट्ठा, घोर-मट्ठा माएक मन में फुटै इन्होर

हिनकर डोका सनक आँखि के देखियौन आ सीपी सनक ठोर
मोथियाएल केश गाल सिनुरिया टहटह झहरैन धीप्पल नोर
घोर-मट्ठा, घोर-मट्ठा
राति इजोरिया झमझम नाचैन, है कतेक जल्दी भ गेलै भोर
कौआ कुर्ररल, पड़वा जागल नैहर-सासुर, भेलै सौंसे हहकोर
नवगछली के महमह मोजर कक्का-भैया करता कतेक अगोर
भाउजक सोझा थरथर काँपै फागुन माएक मन में फुटै इन्होर
घोर-मट्ठा, घोर-मट्ठा
कल्हुका जनमल, शीशो सन देह कदम्ब सन भेलै कोना चकोर
फागुन नञ दोखी! मन मे रहैए छपाएल ई बरमसिया हिलोर
घोर-मट्ठा घोर-मट्ठा घोर-मट्ठा, भरि गामहिं खाली मट्ठा-घोर
हिनकर डोका सनक आँखि के देखियौन आ सीपी सनक ठोर

रविवार, 14 सितंबर 2014

अढ़ौने काज नञ कि सिखौने लाज

अढ़ौने काज नञ कि सिखौने लाज
हुलकौने कहिओ कि धरए सिकार
हँ, मारब माछ, नञ उपछब खत्ता
हँ, मारब माछ नञ, उपछब खत्ता
नञ मारब माछ नञ उपछब खत्ता
चल समेट भाभट आ कपड़ा लत्ता
दिल्ली आ कि आब छूछे कलकत्ता

टाँग पसारि घरे बैसि'क पेट डेंगाबे
मुरछल थुथुन के आब, के सोहराबे
घर आबए पाहुन, त लुत्ती लगाबे
हाथमे पथिया ल'क महिस दुहाबे
ई जिनगी हमरा की नाच नचाबे
सदिखन टीप'क बाजे आ लहराबे
एक कहौ जँ एकरा, दस दोहराबे
चुप्पा आँखि नचाबे, मुँह चमकाबे

अढ़ौने काज नञ कि सिखौने लाज
हुलकौने कहिओ कि धरए शिकार


आँखिमे रहिगेल काँचहि नोर

कनिया मनिया झींगा'क झोर
नीक बेजाए, सब ल'गेल चोर
दिन अन्हरायल, बहिर इजोर
पूत परदेसहि आ गाम इन्होर
आँखिमे रहिगेल काँचहि नोर

कनिया मनिया झींगा'क झोर
अनीन रातु'क, ई झाँपल भोर
घर नञ बाहर ओलती'क कोर
फाटल अछि, कुसियार'क पोर
आँखिमे रहिगेल काँचहि नोर

कनिया मनिया झींगा'क झोर
कन्ना खिज्जी, हरदम मुहजोर
मुइल पोखरिमे उठय हिलोर
कनिया कारी बर अछि गोर
आँखिमे रहिगेल काँचहि नोर