शनिवार, 25 फ़रवरी 2017

प्रथम पुष्प पर धरती क अधिकार

प्रिय! टटका फूल बिछ लाउ किछ
बजा रहल जे मिथिला मे भिनसार
बाइस फूल स नहिं होछि सिंगार
मुदा बिछब, तोड़ब नै क होहकार
प्रथम पुष्प पर धरती क अधिकार
फागुन में, फगुआ चढ़ल चिनबार
प्रिय टटका फूल बिछ लाउ किछ

शनिवार, 4 फ़रवरी 2017

आह! कि अद्भुत!

आह! कि अद्भुत!
➖ ➖ ➖
माए क दूध संग
नेनपनहि स
पढ़ाओल गेल छलैन
एक टा पाठ ➖
''बांग्लार जल आर बांग्लार फल''
अपन माए संग ओ आएल छला
बंगाली स्वजन मिथिला में
मिथिला में, मिथिला माने
हुनकर मंसूबे, सीता क नैहर

जाइत काल दुनू गोटे
कहैत जाय गेला
➖ कि अद्भुत मिथिला क पानि!

कोना नञ नीक लगैत!
नीक लागल बहुतहि!
ताञ कहै छी ➖
आह कि अद्भुत
मिथिला क पानि!

पानि माने!
कर जोरि विनैम कहै छी
पानि माने त
अहां बुझिते छिऐ बिधाता!
बस आह
कि अद्भुत मिथिला क पानि!

बुधवार, 25 मई 2016

कहलक मनसा

कहलक मनसा
सूति पहिरेबौ,
न-न सेरक पेड़ा
घर आबि हम देखल,
खाली टूटल सूप चंगेड़ा
पापी के मुहँ हम हारल
दुख उपजल खूब अनेरा
कानिक देखल
रुसिक देखल
देखल बहुबिध
देखल बहुते,
ठठा रहल अछि
अगबे कटहर केरा

बुधवार, 18 मई 2016

ई, अजगुत

ई, अजगुत जे
ताकि रहल छी
नवका ठौर ठिकाना
नञ नञ गाम नञ हराएल
ज कही त छी हमहि भुतलाएल
की कहू कोना फुराएल
ज अपने स रहल पराएल
ई बूझल ऐ अछि त किए अछि
मुहँ झमाएल मन खौंझाएल

गाम आएल छी
ई अजगुत जे
पटना दिल्ली एत ओत स
लोक पूछैए, 'कहाँ हैं!'
कहि दैत छियै - - बेधड़क
'बाहर हैं, घर लौटकर बात करते हैं'

ई, अजगुत जे
गाम आएल छी,
माने, कोइलख में कोलख्यान!
आ बेधड़क कहै छियै जे,
बाहर हैं.!

गाम जाइ छी

गाम जाइ छी
फेर कहै छी गाम जाइ छी
रत्ती पत्ती लावैन लुत्ती
गाछी बिरछी सोन सेहनता
हं यौ कहलौं एतबे
अपन बेगरते गाम छी
अनत नञ यौ! गाम!
गाम जाइ छी
डीह डाबर अटकन मटकन
डोका डहकन अरिपन सरिपन
मुँह बिचकबैत उचकैत फुदकैत
गाम जाइ छी! गाम जाइ छी।

शनिवार, 21 फ़रवरी 2015

लुटेलौ बाउ रे तोहर गठरी

दालि दररी, दालि दर्ररी किए दालि दररी?
बाबा पोखैर में बड़ मछरी, माए बड़ मछरी!
पोखैर मे कनियो पानि नञ सुखाएल गगरी
ताञ दालि दररी, हिलमिलि क दालि दररी
बरद बिकाएल जेहि दिन छलौं सब कछरी
खेत मे हाल नञ, बियो के भ गेलै सुनबहरी
कत स एलौ दालि झूठहि गबै छैं दालि दररी
खिस्सा में दालि, सुखाएल खेत में की कजरी
आँखिए में पानि, सपनहिं में चुलबुल मछरी
एक मुट्ठी भात लेल पूषहि मे मुहँ पर फिफरी
एत ओत जत तत लुटेलौ बाउ रे तोहर गठरी
दालि दररी, दालि दर्ररी किए दालि दररी?
बाबा पोखैर में बड़ मछरी, माए बड़ मछरी!