बुधवार, 18 मई 2016

गाम जाइ छी

गाम जाइ छी
फेर कहै छी गाम जाइ छी
रत्ती पत्ती लावैन लुत्ती
गाछी बिरछी सोन सेहनता
हं यौ कहलौं एतबे
अपन बेगरते गाम छी
अनत नञ यौ! गाम!
गाम जाइ छी
डीह डाबर अटकन मटकन
डोका डहकन अरिपन सरिपन
मुँह बिचकबैत उचकैत फुदकैत
गाम जाइ छी! गाम जाइ छी।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अनुरोध जे, सुधार क अवसर दी आ विषय स संबंधित सुझाव अवश्ये दी। व्यक्तिगत टिप्पणी नञ दी।