नीक ने लगइए
-------------------
अहाँ जे एना जे चुपचाप रहै छी नीक ने लगइए
इअयै हँ, भीतरे-भीतरे हमरो मोन खूब कनइए
किछ त बाजू आबो देखिऔ बौआ केना तकइए
एहि गुमकी पर देखियौ नोरे-झोरे खूब हँसइए
जे हेतै से हेतै तहिया अखैन किए कोंढ़ फटइए
बेसाहे स सबहिक भानस केदनि खेत जोतइए
देखू आँखि क कोरे हँसी अहाँ क खूब चमकइए
एहि बयस मे पाबैन तिहार पर एना के रुसइए
की कम जे पनिबट्टिये स सदिखन पानि बहइए
जेहेने तेहने चार अछि तखनहि ने चार चुबइए
अहाँ एना जे, चुपचाप रहै छी नीक ने लगइए
इअयै हँ, भीतरे-भीतरे हमरो मोन खूब कनइए
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अनुरोध जे, सुधार क अवसर दी आ विषय स संबंधित सुझाव अवश्ये दी। व्यक्तिगत टिप्पणी नञ दी।